
बिबेक कुमार महतो
गोशाला
महोत्तरीमे एक यात्री बस बेकाबू भऽ दुर्घटना भेलासँ ६ गोटे घाहिल भेल अछि ।
जिल्लाके पिपरा गाउँ–४ शिब चौक स्थित जनकपुर–जलेश्वर सडक खण्डमे भीठामोदसँ जनकपुर दिस जा रहल सवारी बस नम्बर २ बी ७६८४ बेकाबू भेलासँ ६ गोटे घाहिल भेल अछि ।
घायल मे रुबी साह (२४ वर्ष) निवासी मनरसीसवा नगरपालिका १, मनरा, सिकेन्द्र ठाकुर (२२ वर्ष) निवासी मिथिला बिहारी नगरपालिका–१, धनुषा जिला, जगदीश ठाकुर (५० वर्ष) डोरवार गाउँ पंचायत वडा नम्बर ३, मधुवनी जिल्ला के रहनिहार अछि .
घायल साहके जनकपुर प्रदेश अस्पतालमे उपचार भऽरहल जिल्ला प्रहरी कार्यालय महोत्तरी जनौने अछि ।