मधेशमे कोरोना संक्रमण बढि रहल अछि

जनकपुरधाम –

पछिला किछु दिनसँ मधेश प्रदेशमे फेरसँ कोरोना संक्रमण बढए लागल अछि तऽ धनुषा प्रशासन सतर्कताक आवाहन केलक अछि ।

मधेश प्रदेशमे जुनके अन्तिम हप्ताधरि शून्य रहल कोरोना संक्रमण फेर बढय लागल जनौलक जिल्ला प्रशासन कार्यालय धनुषा आई नोटिस जारी कऽ शर्त अपनाबयके अपील कएलक अछि ।

फिलहाल covid-19 के संक्रमण दर बढल जा रहल अछि त जिल्ला प्रशासन कार्यालय धनुषा के सहायक मुख्य जिला पदाधिकारी द्वारा जारी अधिसूचना मे सिर्फ मास्क लगा के चलय के, भीड़भाड़ वाला जगह पर बिना काज के नहि जेबाक बात कहल गेल अछि, यदि संक्रमण कें आशंका छै, त तुरंत संक्रमण कें जांच करानाय आ नजदीकी स्वास्थ्य संस्थान मे बूस्टर खुराक कें सेहो लेनाय.

मधेश प्रदेश स्वास्थ्य निर्देशनालयके सफी धनुषाके अनुसार बितल २४ घण्टामे ६ गोटे कोरोना संक्रमित भेल अछि । अहिसँ पहिने पछिला मंगलदिन सेहो मधेश प्रदेशमे ४ गोटेमे कोरोना भाइरस संक्रमित भेल पुष्टि भेल छल ।

एकर संगे मधेश प्रदेशमे सक्रिय कोरोना पॉजिटिव संक्रमितके संख्या ४० पुगलके स्वास्थ्य निर्देशनालय जारी प्रेस विज्ञप्तिमे उल्लेख कएलगेल अछि ।

तहिना पर्साक वीरगंज कस्टम नाका, सिरहाके मदर नाका, रौतहटके गौर नाका आ महोत्तरीके भीतामोठ नाकामे परीक्षण कएलगेल २०३ गोटेमे कोरोना संक्रमण नहि भेटल निदेशालय जनौलक अछि ।

एम्हर, एखनधरि मधेश प्रान्तमे कोरोना संक्रमित भेलसभमे सँ ९७.४ प्रतिशत लोक ठीक भऽ स्वदेश घुरल अछि तऽ कोरोना संक्रमितसभमे २.५६ प्रतिशतके मृत्यु भेल निर्देशनालय जनौने अछि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published.