
जनकपुर।
भारतके मध्यप्रदेशके धार जिल्लामे बस दुर्घटनामे १३ गोटेके मृत्यु भेल अछि ।
जे बस दुर्घटना भेल छल ओ सड़कसँ कनेक नीचाँ नर्मदा नदीमे खसि पड़ल।
ओहि स्थान पर बचाव अभियान चलि रहल अछि आ 13 गोटेक लाश पानि सँ निकालि 15 गोटे केँ सुरक्षित बचाओल गेल अछि।
एक स्थानीय प्रहरी अधिकारी बतौलनि जे बस मे 55 गोटे सवार हेबाक अपुष्ट जानकारी भेटल अछि।
“दक्षिण-पश्चिमी राज्य महाराष्ट्र इंदौर शहर छोड़ि महाराष्ट्र चलि गेल।
मध्यप्रदेशके मुख्यमन्त्री शिवराज सिंह चौहानके अनुसार ५ गोट मृतकके पहिचान भऽ चुकल अछि, तऽ अन्य व्यक्तिके पहिचान अख्खन धरि खुलासा नै भेल अछि ।
प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी एहि दुर्घटना मे जान गंवा चुकल लोक कए श्रद्धांजलि अर्पित करैत अपन परिजन प्रति संवेदना व्यक्त केलथि।
ओ ट्वीट के माध्यम सं कहलनि जे, मध्य प्रदेश मे एकटा दुखद सड़क दुर्घटना भेल अछि।
मौका पर बचाव कर्मी द्वारा बचाव कार्य चलि रहल अछि आ स्थानीय अधिकारी प्रभावित के हर संभव सहायता द रहल अछि।’