
जनकपुर।
भारत स पेट्रोलियम उत्पाद क दाम कम भ गेल अछि।
अन्तर्राष्ट्रिय बजारमे कच्चा तेलके दाम घटलासँ नेपाल तेल निगमके लेल भारतीय तेल निगमसँ पेट्रोलियम उत्पादनके दाम घटल अछि ।
शनिदिन पेट्रोल प्रति लीटर के दाम 15 76 पैसा आ डीजल प्रति लीटर के दाम 16 56 पैसा घटल निगम के अनुसार अछि।
भारत स ईंधन क दाम कम भ गेलाक बादो उपभोक्ता कए एकर फायदा नहि भ रहल अछि।
नेपाल तैल निगमके एक अधिकारी नेपालमे तेलके दाम तत्काल नहि घटत, अखनो पहिने भेल हानिसँ प्रभावित भऽ रहल बटैलै ।
निगम पर एखन आईओसी पर 31 अरब 2 करोड़ टका क बकाया अछि।
कर्ज क राशि चुकाबय लेल निगम वाणिज्यिक बैंक आ सरकार स करीब 10 अरब क लोन ल रहल अछि।