
जनकपुर:
आउर ४५७ गोटेमे कोरोना भाइरस संक्रमण पुष्टि भेल अछि ।
स्वास्थ्य तथा जनसंख्या मन्त्रालयके अनुसार पछिला २४ घण्टामे ४६५१ नमुना परीक्षणमे ४५७ नमुनाके रिपोर्ट पोजेटिभ आएल अछि ।
मन्त्रालयके अनुसार पीसीआरसँ २३४१ आ एंटीजन विधिसँ २३१० नमुना परीक्षण कएलगेल अछि । जाहिमे ३८६ गोटे पीसीआर आ ७१ गोटे एंटीजन विधिसँ संक्रमित भेल अछि ।
सोमदिन कोरोनासँ १ गोटा आरो मृत्यु भेल अछि । एहि दौरान 48 गोटे कोरोना मुक्त भेल अछि।
अखन सक्रिय कोरोना संक्रमितके संख्या १७७६ पुगल अछि ।
मन्त्रालयके अनुसार १५ गोटेके आईसीयूमे ईलाज भऽ रहल अछि आ १ गोटे वेंटिलेटरमे रहल अछि ।
बितल २४ घण्टामे ९८ हजार ९ सय गोटेके कोरोनाके टीकाकरण कएलगेल मन्त्रालय जनौलक अछि ।